Vol. 7, Issue 1, Part F (2021)
श्रीतंत्रनाथझाक रचनाक साहित्यक परिचय
श्रीतंत्रनाथझाक रचनाक साहित्यक परिचय
Author(s)
डाॅ0 चन्द्रदेव ठाकुर
Abstract
मैथिली-साहित्य क्षेत्रमे दुइ साहित्यकार- श्रीतन्त्रनाथ झा (1909) ओ श्री वैद्यनाथ मिश्र यात्री (1910) क अवतरण होइत अछि, जनिक व्यक्तित्वमे प्रयोगधर्मिता सहजात छल। ई दुनू प्रतिभाशाली साहित्यकार आधुनिक साहित्यक संवृद्धिक हेतु दुइ भिन्न क्षेत्रमे कार्यरत भए गेलाह। श्रीतन्त्रनाथ झा अंग्रेजी साहितयसँ प्रेरणा लए नव-नव शिल्प शैली ओ भाषा छन्दक प्रयोग करैत उच्च कोटिक आधुनिक स्थायी साहित्यक रचना करब। यात्रीजी 1943 ई0 क अपन ‘कौशिकीक धार‘ सॅ मुक्तवृतक प्रयोग करैत लोकग्राह्य ग्राम्य भाषा शैली में युग जीवन ओ सामाजक प्रगतिवादी यथार्थ चित्रणक श्री गणेश कएल। ई विशेष ध्यतव्य जे गद्य ओ पद्य-दुहू क्षेत्र में आधुनिक साहितयकें सरिपहूँ बहुत आगा लए गेनिहार अधिकांश साहित्यकारक जन्म एहि शताब्दीक प्रथम दशकमें भेल, जाहिमें प्रयोगधर्मिताक दृष्टिएँ श्रीतन्त्रंनाथ झाक अन्यतम स्थान अछि।
How to cite this article:
डाॅ0 चन्द्रदेव ठाकुर. श्रीतंत्रनाथझाक रचनाक साहित्यक परिचय. Int J Appl Res 2021;7(1):452-453.